Sama Chakeva Geet (Chuglak Geet) : Re Chugla labra bani ke, Lagau tora dhan san
Автор: Melodic Anita
Загружено: 2024-11-14
Просмотров: 638
#maithili #samachakeva #samageet #chugla #paramparik #folksong #lokgeet #melodicanita #himadrimishra
#*चुगलाक गीत*
रे चुगला लबरा बनिके
लागउ तोरा धन सन
तू गेलएं सभके मोन सँ ना
तू त बाजएँ झूठे बात
सब त ' करओ तोरा कात
चुगला नाम घिनेलें तू त 'अपनेहि
बल सँ
तू गेलह सबहक मोन सॅ ना
चुगला मायक सप्पत खाय
मैया गे कियउ ने पतियाइ
चुगला नाम घिना के गेलं सबहक
टोल सँ
तू गेलह सबहक मोन सँ ना
चुगलाक कनियाँ छैक बड़नीक
ओ त ' काटलक ओकर टीक
चुगला छिलमिल क ' के भागल
अप्पन घर सँ
तू त ' गेलह सबहक मोन सँ ना
चुगलाक सुग्गा सन ओ नाक
आँखियों दुइ सुपारीक फाँक
चुगला कुहड़ि - कुहड़ि बाजय बड्ड जोर सँ
तू त ' गेल सभहक मोन सँ ना
हिमाद्रि मिश्र ' हिम '
Доступные форматы для скачивания:
Скачать видео mp4
-
Информация по загрузке: